Home > Our Work

Closing Notes by year 21-23 President Ajit ji before handing over to new committee 24-26:

आदरणीय सदस्यगण !
कर्ण-गोष्ठी , मुंबई परिवार

काल्हि, वार्षिक आम सभा शांति, सद्भाव एवं सौहार्दपूर्ण वातावरण मे संपन्न भेल।कार्य समितिक तरफ सौं अपन द्विवर्षीय कार्यकालक दौरान भेल कार्यक, विस्तृत Report card हमरा द्वारा प्रस्तुत कैल गेल।जेकर किछु अंश अनुपस्थित सदस्य लोकनिक जानकारी के लेल साझा कऽ रहल छी।
१. KGM Family Directory एवं स्मारिका विमोचन के पश्चात वितरण कैल गेल। गोष्ठी परिवारक सब घर में Directory एवं स्मारिका के एक कॉपी पहुँच सकय तेकर अभिलाषा अछि एवं प्रयास रहत। पुस्तक के कोनो मूल्य नहि राखल गेलैक अछि।आशा अछि Directory में देल जानकारी परिजन के नीक लगतैन्ह।
२. परम हर्षक बात जे कर्णगोष्ठी परिवारक सदस्य श्री देवब्रत जी अपन दिवंगत पिता स्व॰ शंकर कुमार दास एवं स्व॰ माता अर्चना दास के स्मृति में कर्ण गोष्ठी, मुंबई के 4 गुंटा जमीन (4300 sq ft) बदलापुर स्थित अपन Housing project में Donate केलैन्ह अछि।हमर WhatsApp पर सेहो पहिनहि लिखित में confirm केने छलाह जेकर Official declaration सभा में कैल गेल ।बाद में श्री देवव्रत जी एवं श्री अभिव्रत जी दुनु भाई स्वयं सभा में उपस्थित भऽ अपन confirmation सेहो देलैन्ह।सदस्यगण कर्तवध्वनि सौं standing ovation केलैन्ह।संप्रति project development stage में छैन्ह।कालांतर में ओहि जमीन पर आवश्यकतानुसार केजीएम के Office / Auditorium/ विवाह भवन इत्यादि के निर्माण कराओल जा सकैत अछि।Campus के मंदिर में भगवान श्री चित्रगुप्त जी के स्थापना सेहो संभव भऽ सकत।आब प्राय: KGM के लेल अलग सौं Office Space लेवाक प्रयोजन नहि पड़तैक।
३. ⁠KGM Medical Fund में गोष्ठीक प्रमुख संस्थापक सदस्य स्व॰ निर्भय नारायण लाल दास के स्मृति में हुनक पुत्र श्री नवीन जी एवं परिवार द्वारा तीन लाख टाका देवाक घोषणा भेल।
४. वर्ष भरि में सर्वाधिक 41 सदस्य बना गोष्ठी परिवार सौं जोड़ल गेल।
५. ⁠विगत 15 नवंबर 2023 पूजा समारोह में 415 +स्वजन के सर्वाधिक उपस्थिति सौं कार्य समिति / सक्रिय कार्यकर्ता सब आनंदित भेलाह जे उत्साहवर्धक छल। रुझान में और बेसी बृद्धिक कामना करैत छी।
६. ⁠सांस्कृतिक कार्यक्रम के माध्यम सौं Online एवं stage performance द्वारा inhouse युवा युवती महिला एवं बाल कलाकार द्वारा विभिन्न कला के प्रदर्शन ,उत्साहवर्धक छल।
७. ⁠KGM परिवारक वयोवृद्ध अभिभावक सब कें गोष्ठी के तरफ सौं सम्मानित कैल गेल। ८. विगत छ: मास में चारि गोटे जरूरतमंद विमार व्यक्ति कें Mediical Assistance के तहत सहायता राशि देल गेल। अपन कार्य काल दौरान कार्य समिति द्वारा कैल गेल विभिन्न कार्य एवं उपलब्धिक विस्तृत जानकारी हमर प्रतिवेदन में देल गेल अछि।द्विवर्षीय कार्यकाल के दौरान कार्य संचालन में समाजक सहयोग, प्रेम सद्भाव अपेक्षा सौं बेसी भेटल।समाज में आपसी प्रेम, सौहार्द,भाईचारा बनल राहय।सब गोटे के स्वस्थ रही एवं समृद्धिक पथ पर बढ़ैत रही तेकर मंगलकामना करैत छी।स्वयं एवं कार्य कारिणी समिति के तरफ मुंबई कर्ण गोष्ठी परिवारक सदस्यगण एवं समस्त समाज कें सहृदय धन्यवाद एवं आभार ।श्री युत कनक किशोर जी के नेतृत्व में नव गठित कार्य समिति कें सहृदय शुभकामना एवं अभिनंदन।धन्यवाद । इति शुभम।

भवदीय – अजीत के दास अध्यक्ष – कर्णगोष्ठी, मुंबई ( कार्य समिति 2021-023 )


We’re passionate about helping people in need, using 100% of all member’s donations to fund some planned projects and/or some requirement on an emergency basis.

Following are just a few of the services that Gosthi has done in past and some of them are still continuing:

  • Donation to Indian Army after Pulwama Attack
  • Raised Corona Donations up-to more than 76000/-and helped more than 25 needy families in Bihar financially and continuing to help more, rest fund will go to PMCare.
  • More than 550 Kambals had been distributed to street poor in a chilled night on 2nd January 2018.
  • Medical assistance up to Rs. 50000/- to one of the members suffering from serious illness in April 2018
  • Education aid to a girl student: Rs. 10000/-
  • Education aid to one boy student for higher education: Rs. 15000/-
  • Blood Donation Camps throughout the year
  • Scholarships to poor children of society
  • Medical benefits to the needy people
  • Helping parents with Marriage expenses
  • Free Medical Camp in Neruar village, a flooded area in Bihar  [donations raised upto 51000/-]
  • Financially Helped a Karn-Kayastha family for medical treatment of a member